Price: ₹500.00
(as of Dec 16, 2024 14:59:43 UTC – Details)
अनुप्रास प्रकाशन समूह अपन आरम्भहिसँ पोथी प्रकाशनक क्षेत्रमे नव-नव आयाम जोड़बाकलेल प्रयत्नशील रहल अछि। पूर्वमे प्रकाशित एहि प्रकाशनक पोथीसभकेँ पाठक आ लेखकलोकनिक अपार सिनेह भेटल अछि। एहि क्रममे प्रस्तुत अछि प्रसिद्ध भाषावैज्ञानिक प्रा. रामावतार यादवक 80अम जन्मदिनक शुभ अवसरपर प्रकाशित मैथिली आलेख सञ्चयन II। प्रस्तुत पोथीक प्रकाशन मैथिली भाषा-साहित्यक प्रतिष्ठामे एकटा नव अध्याय जोड़बाक मजगुत उद्यम सिद्ध होएत। अपन अनुसन्धान कार्यद्वारा वैश्विक स्तरपर मैथिलीकेँ प्रतिष्ठित कएनिहार डा. यादवक ई महत्त्वपूर्ण पोथी प्रकाशित करैत अनुप्रास प्रकाशन समूह गौरवक अनुभव क’ रहल अछि। अनुप्रासक उद्येश्य भाषा-साहित्यक श्रेष्ठताक वरण करब अछि। किछु महत्त्वपूर्ण साहित्यकेँ जनसुलभ करबामे अपनेलोकनिक सहयोग ओ परामर्शक अपेक्षा अछि। प्रस्तुत सञ्चयन अपनेलोकनिक हाथमे दैत अप्रतिम प्रसन्नताक अनुभूति भ’ रहल अछि। दीप नारायण
Publisher : ANUPRAS PRAKASHAN (1 January 2022)
Language : Maithili
Perfect Paperback : 120 pages
ISBN-10 : 9391371175
ISBN-13 : 978-9391371173
Reading age : 16 years and up
Country of Origin : India