Price: ₹250.00
(as of Oct 13, 2024 12:28:45 UTC – Details)
नन्दनी झाक उपरोक्त काव्य-संग्रह एहि धरा-धामपर पहुँचि निश्चये सहृदयी पाठककेँ अपना दिस आकृष्ट करत। नन्दनी झासँ परिचय हुनक एही कविता संग्रहक माध्यमे भेल अछि, हुनक कोनो पूर्वक साहित्यसँ सेहो परिचय नहि अछि, मुदा तइओ जोड़ दए कहि सकैत छी जे हुनक ई संग्रह अपन स्तरक माध्यमे डाक दैछ जे हम साहित्यकेर अध्येता छी, हम साहित्यकेर प्रणेता छी आ छी साहित्यकेँ अपना सङ लए चलनिहारि साहित्य-निर्माता। एहि संग्रहमे नहि तँ कतहु अपनेकेँ धकचकाइत साहित्य निर्मात्रीक दर्शन होएत आ ने कोनो वैचारिक मन्थनमे माथ धुनैत साहित्यकर्तृक— एहिमे दर्शन होइछ एक परिपक्व साहित्यकर्तृक, एहिमे दर्शन होइछ वैचारिक स्तरपर एक अडिग मिथिलानीक, एहिमे दर्शन होइछ अभिनव वक्रता-विच्छत्तिक सङ मार्मिक अभिव्यंजना प्रदान कएनिहारि मैथिल ललनाक, एहिमे दर्शन होइछ सरल, कोमल आ मधुर शब्द-विन्यास एवं सहानुभूतिपूर्ण संवेदनशील भावाभिव्यंजना प्रदर्शित कएनिहारि मिथिलाक बेटीक, एहिमे दर्शन होइछ बिनु ‘वाद’केर अभिनव रीतिएँ विद्रोह करैत एक अति संवेदनशील ललनाक जे पाठककेँ बान्हि सोचबाक हेतु-मनन करबाक हेतु वाध्य करैछ। — अजीत मिश्र
Publisher : anupras prakashan samuh (1 January 2023)
Language : Maithili
Perfect Paperback : 128 pages
ISBN-10 : 9391631169
ISBN-13 : 978-9391631161
Reading age : 18 years and up
Country of Origin : India